Wednesday, May 2, 2012

नमस्कार मित्रगण

वॉयस ऑफ़ मिथिला के समाचार

मैथिल यूथ परिषद् जे एकटा नवनिर्मित राष्ट्रीय स्तर के संस्था ऐछ जे भारत के संविधान के पालन करैत दिल्ली में पंजीकृत भेल जेकर पंजीयन संख्या DE/S/49/2012 ऐछ | मैथिल यूथ परिषद् संस्था यूथ एकता मैथिल एकता के विचार पर "हमर एकता हमर प्रगति " के नारा के संग बनल जे मुख्यतः ५ टा कार्य (शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य एवं संस्कृति, वृद्ध वर्ग के देखरेख आ पुस्तकालय) के लेल कार्यशील ऐछ |

अपने सभ बंधू एवं बांधवी स आग्रह आ अनुरोध अछि जे अई संस्था के गोष्ठी में भाग ली |
१. संस्था के उपर परिचर्चा |
२. आगामी कार्यक्रम के विषय में चर्चा |
३. सदस्यता अभियान पर चर्चा |
४. नेपाल के जनकपुर में मिथिला राज्य के लेल धरना के बिच सीतानवमी के दिन भेल बम बिस्फोट में मारल गेल दिबंगत के सर्धांजलि तथा ताहि घटना पर परिचर्चा !!

ई गोष्ठी रवि दिन साँझ में ४ बजे स ७ बजे तक कॉफ़ी हाउस, कर्नाट प्लेस, नई दिल्ली में हैत जाही में एंट्री फीस ५० रुपया रहत |

जाही में सभ गोटे संथा के नव पुराण सदस्य अपन अपन विचार रखता !

अपने समस्त यूथ (युवा) स आग्रह जे एय गोष्ठी में सामिल भय अपन एकता अपन प्रगति के नारा के चिर काल तक स्थापित करय में भागीदारी निभावी !!

जय मिथिला जय मैथिली
हमर एकता हमर प्रगति

No comments:

Post a Comment