मैथिल यूथ परिषद् केलक अपन जाल ब्रिति के शुरुआत


दिनांक 06/05/2012 कनाट प्लेस के जानल पहचानल जगह इन्डियन कॉफ़ी हाउस
में राष्ट्रीय स्तर के पंजीकृत संस्था मैथिल यूथ परिषद् के तत्वाधान में
एकटा गोष्ठी के आयोजन कैल गेल छल जाही में निम्नांकित बिंदु पर चर्चा और
परिचर्चा भेल |
1. संस्था के आगामी कार्य तथा सदस्यता अभियान जे की
भारत के विभिन्न क्षेत्र में चलाबय के लेल निर्णय के संग सदस्य सभ के
सौंपल गेल तथा सदस्य सभ अपन अपन प्रतिबध्यता दर...्शेला |
2. दिल्ली में मैथिल यूथ सम्मलेन करय के लेल निर्णय कैल गेल जकर घोषणा जगह के उपलब्धि के बाद कैल जैत |
3. दिल्ली के विभिन्न क्षेत्र में बिद्यार्थी वर्ग के लेल वोर्कशोप के
आयोजन कैल जायत जकर स्थान एवं जे विद्वान (स्पीकर) रहता ओकर सुचना समय
समय पर उपलब्ध करायल जायत जाही में आजुक गोष्ठी के निर्णय के अनुसार
पहिल वोर्कशोप १० वीं एवं १२वीं के बिद्यार्थी के की करक चाही ताहि के
लेल आगामी रवि दिन जैत पुर बदर पुर क्षेत्र में आयोजन कैल जैत | एही
वोर्कशोप में पोलिटेक्निक, आईटीआई , बैंक के परीक्षा आ दोसर व्यावसायिक
परीक्षा के बारे में बतोल जैत आ संगही मिथिलाक्षर सेहो सिखाओल जैत |
मिथिलाक्षर के बढ़ावा के लेल सेहो स्पीकर उपलब्ध रहता |
4. मिथिला
क्षेत्र में कंप्यूटर साक्षरता तथा मिथिलाक्षर साक्षरता जे १० -१० दिन के
लेल चलाओल जायत जाही पर चर्चा एवं परिचर्चा कैल गेल |
5. मैथिल यूथ परिषद् के अपन वेब पोर्टल www.myparishad.com सब सदस्य के सहभागिता स शुरू कैल गेल |
6. नेपाल में मिथिला राज्य के लेल धरना पर बैसल लोक सभ जे सीता नवमी के
दिन बम बिस्फोट में मारल गेला हुनकर आत्मा के शांति के लेल २ मिनट के लेल
मौन धारण कैल गेल तथा नेपाल दूतावास एबम यूनाईटेड नेशन के तात्कालिक कदम
उठाबई के लेल ज्ञापन सौंपल जायत ताहि पर निर्णय भेल |
एही
गोष्ठी में मैथिल यूथ परिषद् संस्था के अध्यक्ष श्री आनंद झा , महासचिव
श्री मुकेश मिश्रा, सचिव श्री चित्रांशु कर्ण, कोषाध्यक्ष श्री बसंत झा
वत्स, सदस्य - श्री गणेश झा (आसाम ), श्री दिवाकर झा (हरियाणा ), श्री
शीतांशु झा शिवेश (पत्रकार), चन्दन कुमार पाण्डेय, देव कुमार, मयंक मिश्रा,
राजीव झा आ सलाहकार - श्री कृपानंद झा एवं मैथिल फोंडेसन के अध्यक्ष श्री
पवन झा, मैथिल फोंडेसन के महासचिव श्री कौशल झा एबम अन्य उपस्थित छलाह |
No comments:
Post a Comment