Wednesday, May 16, 2012

की हौऊ तों कमजोर भ गेलह

की हौऊ तों कमजोर भ गेलह 
नांगरी कटा क गाम बिसरलह
अप्पन भाषा आ ठाम बिसरलह
मिथिला के पहिचान बिसरलह
बैमानी पोरी पोर भ गेलह
की ............................................

तिलकोर के पाठ बिसरलह
मिथिला के ठाठ बाट बिसरलह
पेंट शर्ट आ हेट फेट में
धोती कुरता पाग बिसरलह
बिन मुद्दा के शोर भ गेलह
की.....................................
अनका लेल भरी दिन खटई  छः
बाल आ बच्चा किहरी कटयी छः
बाबु छोरी क मोम आ पोप बजय छः
तों सुनी सुनी क खूब नचय छः 
बिन बुझने तूं चोर भ गेलह
की ..........................................
कनिया मनिया जॉब करय छः
अपना पर पेटो नै भरय छः
अपने हाथे करम कुटय छः
बात बात में झगरी परई छः
एहन कोना धकलोल भ गेलह
की ..........................................
गामक शान के कतय नुकेलह
बिन सोचने सब किछ हेरेलह
बाप माय के कोना बिसरी क
अपन "आनंद" में घोर भ गेलह
की हउ.........................आनंद
एही रचना के किओ व्यक्ति अपना जीवन स नहीं जोरी इ मात्र एक टा रचना थीक| एही रचना के रचना कार आनंद झा हम स्वं छी | बिना पूछने एकर उयोग नहीं करी
जय मिथिला जय मैथिलि   

दिल्ली के जैतपुर बदरपुर क्षेत्र में बिद्यार्थी वर्ग के लेल ज्ञानदूत योजना

दिल्ली के जैतपुर बदरपुर क्षेत्र में बिद्यार्थी वर्ग के लेल ज्ञानदूत योजना के तहत मैथिल यूथ परिषद् द्वारा वोर्कशोप के आयोजन कैल गेल! वोर्कशोप १० वीं एवं १२वीं और undergraduate के बिद्यार्थी के की करक चाही ताहि के लेल वोर्कशोप के आयोजन कैल गेल एही वोर्कशोप में पोलिटेक्निक, आईटीआई , बैंक के परीक्षा आ दोसर व्यावसायिक परीक्षा के बारे में बताओल गेल! एय वोर्कशोप में स्पीकर श्री कृपानंद झा ( लेक्चरर , मीराबाई टेक्नीकल इंस्टिट्यूट , दिल्ली सरकार ) और श्री बसंत झा वत्स (चार्टर्ड अकाउंटेंट ) छलाह ! अगिला कार्यक्रम के घोषणा समय अनुशार देल जायत ! इ बात मैथिल यूथ परिषद् के महासचिब श्री मुकेश मिश्र कहला । एही शिक्षा स जुरल गोष्ठी के सुभारम्भ अतर सिंह पब्लिक स्कुल में भेल जाही में अध्यक्ष श्री आनंद झा , महासचिब श्री मुकेश मिश्र , सदस्य तह होस्ट श्री मुरारी कुमार , बसंत झा वत्स संस्था के कोषाध्यक्ष , श्री अशोक जी लोकल कोन्वेनोर , सदस्य मयंक मिश्र के संग जीत पुर प्रमंडल अध्यक्ष जनतादल यु श्री रंजीत कुमार झा के संग अनेको गणमान्य व्यक्ति के संग विद्यार्थी जन लाभ उठेला । इ गोष्ठी खाश के मैथिल यूथ परिषद् के शुरुआत छल अगा मैथिल यूथ परिषद् अपन कार्य के व्योरा देता और एहिना कार्य के क्रियान्वयन करता । 
जय मिथिला जय मैथिलि 
वोयास ऑफ़ मिथिला  

Wednesday, May 9, 2012

मैथिल यूथ परिषद् केलक अपन सदस्यता अभियान के आगाज पाहिले दिन बनल १५० टा सदस्य

मैथिल यूथ परिषद् एकटा नवनिर्मित संस्था ऐछ जे यूथ एकता मैथिल एकता के विचार पर "हमर एकता हमर प्रगति" के नारा के संग बनल जे मुख्यतः ५ टा कार्य (शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य एवं संस्कृति, वृद्ध वर्ग के देखरेख आ पुस्तकालय) के लेल कार्यशील ऐछ! संस्था के मेम्बरशिप सुरु भ चुकल ऐछी! मेम्बरशिप राशी ऐछी जेनरल मेम्बर १००/- एक वर्ष के लेल और आजीवन मेम्बरशिप १५००/-, एलिट मेम्बरशिप ऐछी १ लाख ऐछी,... मेम्बरशिप फॉर्म मैथिल यूथ परिषद् के वेबसाइट www.myparishad.com और ब्लॉग http://maithilyouthparishad.blogspot.in/2012/05/blog-post_07.html?spref=fb स डाउनलोड क सकय छि!!

मेम्बरशिप के लेल मैथिल यूथ परिषद् के टीम स संपर्क करू :-
दिल्ली : मुकेश मिश्रा- 09873836051, वसंत झा- 09310350503, चित्रन्शु कर्ण- 09971681232, मयंक मिश्रा- 09910741684,
मुंबई : चन्दन मिश्रा- 09892287293, रंजित मिश्रा- 09920955415, विजय कुमार- 09810076548
कलकत्ता : अरविन्द झा : 09883150190
गुहाटी : गणेश झा : 09864406875
चितोरगढ़ (राजस्थान) : दीपक झा : 07737306144
मिथिला (मधुबनी) : प्रकाश चौधरी : 07631991854, निशांत झा : 08294541201, रणजीत झा (जयपुर) : ०९००१९९५००१

मैथिल यूथ परिषद् केलक अपन जाल ब्रिति के शुरुआत

दिनांक 06/05/2012 कनाट प्लेस के जानल पहचानल जगह इन्डियन कॉफ़ी हाउस में राष्ट्रीय स्तर के पंजीकृत संस्था मैथिल यूथ परिषद् के तत्वाधान में एकटा गोष्ठी के आयोजन कैल गेल छल जाही में निम्नांकित बिंदु पर चर्चा और परिचर्चा भेल |
1. संस्था के आगामी कार्य तथा सदस्यता अभियान जे की भारत के विभिन्न क्षेत्र में चलाबय के लेल निर्णय के संग सदस्य सभ के सौंपल गेल तथा सदस्य सभ अपन अपन प्रतिबध्यता दर...्शेला |
2. दिल्ली में मैथिल यूथ सम्मलेन करय के लेल निर्णय कैल गेल जकर घोषणा जगह के उपलब्धि के बाद कैल जैत |
3. दिल्ली के विभिन्न क्षेत्र में बिद्यार्थी वर्ग के लेल वोर्कशोप के आयोजन कैल जायत जकर स्थान एवं जे विद्वान (स्पीकर) रहता ओकर सुचना समय समय पर उपलब्ध करायल जायत जाही में आजुक गोष्ठी के निर्णय के अनुसार पहिल वोर्कशोप १० वीं एवं १२वीं के बिद्यार्थी के की करक चाही ताहि के लेल आगामी रवि दिन जैत पुर बदर पुर क्षेत्र में आयोजन कैल जैत | एही वोर्कशोप में पोलिटेक्निक, आईटीआई , बैंक के परीक्षा आ दोसर व्यावसायिक परीक्षा के बारे में बतोल जैत आ संगही मिथिलाक्षर सेहो सिखाओल जैत | मिथिलाक्षर के बढ़ावा के लेल सेहो स्पीकर उपलब्ध रहता |
4. मिथिला क्षेत्र में कंप्यूटर साक्षरता तथा मिथिलाक्षर साक्षरता जे १० -१० दिन के लेल चलाओल जायत जाही पर चर्चा एवं परिचर्चा कैल गेल |
5. मैथिल यूथ परिषद् के अपन वेब पोर्टल www.myparishad.com सब सदस्य के सहभागिता स शुरू कैल गेल |
6. नेपाल में मिथिला राज्य के लेल धरना पर बैसल लोक सभ जे सीता नवमी के दिन बम बिस्फोट में मारल गेला हुनकर आत्मा के शांति के लेल २ मिनट के लेल मौन धारण कैल गेल तथा नेपाल दूतावास एबम यूनाईटेड नेशन के तात्कालिक कदम उठाबई के लेल ज्ञापन सौंपल जायत ताहि पर निर्णय भेल |

एही गोष्ठी में मैथिल यूथ परिषद् संस्था के अध्यक्ष श्री आनंद झा , महासचिव श्री मुकेश मिश्रा, सचिव श्री चित्रांशु कर्ण, कोषाध्यक्ष श्री बसंत झा वत्स, सदस्य - श्री गणेश झा (आसाम ), श्री दिवाकर झा (हरियाणा ), श्री शीतांशु झा शिवेश (पत्रकार), चन्दन कुमार पाण्डेय, देव कुमार, मयंक मिश्रा, राजीव झा आ सलाहकार - श्री कृपानंद झा एवं मैथिल फोंडेसन के अध्यक्ष श्री पवन झा, मैथिल फोंडेसन के महासचिव श्री कौशल झा एबम अन्य उपस्थित छलाह |

Wednesday, May 2, 2012

वोयास ऑफ़ मिथिला के पछिला साल भेल एक टा गोष्ठी में शामिल मित्रगण जे ओही गोष्ठी के बाद एक टा नव संस्था जे education पर काज करैक लेल बनल जाकर नाम अछी नव पल्लव | वोइस ऑफ़ मिथिला स अखन धरी तिन टा मैथिल संस्था के निर्माण भेल और तिनु अपन कार्य स्वतंत्र रूप स क रहल अछी | पहिल संस्था बनल दहेज़ मुक्त मिथिला जेकर अध्यक्ष भेला श्री प्रवीन चौधरी | दोसर संस्था बनल नव पल्लव जाकर अध्यक्ष बनला संतोष झा , सचिव भेला भवन ठाकुर और तेसर संस्था बनल जे मिथिला मैथिल के लेल कटिबद्ध लोक सब बनेला जाकर मुख्या उद्देश्य मिथिला के पुर्णतः अपना पैर पर थार करैक भेल नाम परं मैथिल यूथ परिषद् |
मैथिल यूथ परिषद् के नाम स पता लागैत अछी जे इ तिन टा भाषा मिल क बनल अछी १. मैथल मतलब मैथिलि २. यूउथ मतलब अंग्रेजी और तेसर परिषद् मतलब हिंदी | मैथिल यूथ परिषद् के हम सब माय  परिषद् सेहो कहैत छी और एकर वेब पेज अछी myparishad .com | वह कजाक लेल कटिबद्ध इ संस्था भारत के संबिधान के अनुसार बनल और सम्पूर्ण भारत में शुरुआती दौर में लगभग ११ टा राज्य में अपन सदस्य और gaverning body के जोरी मुख्यतः १. शिक्षा २. रोजगार ३. स्वस्थ ४. मिथिला के संस्कृति और संस्कार ५. बुध पूरण के सबा ६. मिथिला पुस्तकालय इत्यादी | ओना त लगभग सब विष पर माय परिषद् अपन कार्य करक लेल तैयार अछी अपन नारा हमर एकता हमर प्रगति के संग वह जई मिथिला जई मैथिलि
 The United Nations केलक जनक पुर नेपाल में भेल बोम्ब बिस्फोट  के भर्तसना जे साधारण नागरिक  शांति पूर्ण  तरीका स गोष्ठी केने छल और ओही बिच बोम्ब बिस्फोट भेला स चार आदमी के अपन जान स हाथ धोबई परलेन और लगभग दू दर्ज़न लोक एही में घायल भेला| मीडिया के देल अपन वक्तव्य में  the UN Country Team नेपाल सर्कार स कहला जे  जहाँ तक भ सके अहाँ सही तरीका स एकर जाँच करू जे के एही में शामिल छल |
सीता नवमी के दिन नेपाल में जनक पुपर में भेल बोम्ब बिस्फोट में मरल  गेल लोक के प्रति सम्बेदना अछी | वोयास  ऑफ़  मिथिला एकर बर्त्सना करैत अछि और संगही समस्त मैथिल के आवाहन करैत अछि  हे मैथिल देखू अपन विनाश के यदि अबो नै जगब त एहिना मरल जायब और किओ नै देखत | एही नेपाल सरकार के जे शांतिप्रिये  मैथिल के ऊपरअघात करैत अछि। कहिया तक साहब इ दुर्दशा सहब। वोइस ऑफ़ मिथिला भारत सर्कार स सेहो आग्रह करैत अछी जे नेपाल में मैथिल के सुरक्षा पर ध्यान देती और अपना अस्तर पर नेपाल सर्कार स वार्ता करैथि |